You can access the distribution details by navigating to My Print Books(POD) > Distribution

Add a Review

उजासक आसमे

मुकुंद बिहारी
Type: Print Book
Genre: Poetry
Language: Maithili
Price: ₹196 + shipping
Price: ₹196 + shipping
Dispatched in 5-7 business days.
Shipping Time Extra

Description

2024 मे स्व-प्रकाशित हमर पहिल पोथी “उफाँट हम “जे कि एकटा गजल संग्रह छल, पूर्णतया बहरयुक्त छल। एकहक टा शेर मात्राक नियमानुसार छल, छंदबद्ध छल। अनुशासित पाँतिमे भावकेँ बैसबैएमे हमरा एकटा विशेष आनंदक अनुभव भेल छल।
आय, करीब-करीब एक वर्षक उपरान्त, हमर दोसर पोथी “उजासक आसमे” जे कि एकटा कविता संग्रह अछि, स्व-प्रकाशित भ’ रहल अछि। एहि संग्रहक सभ कविता छंदमुक्त अछि। छंदयुक्तसँ छंदमुक्त धरि हमर यात्रा रोमांचकारी रहल। पहिलमे भाव अनुशासित ढंगसँ सानल छल, जबकि दोसरमे भावक टघार अपन धारा अनुसार बहबाक लेल स्वतंत्र अछि।
एहि पोथीक कवितासभक कथ्य कतहु-न- कतहु आत्मावलोकन, स्वबोध आ दार्शनिकताक डोरीमे लटपटाओल अछि। पाठक सभकेँ एहि कवितासभक माध्यमसँ स्वयंसँ संवाद करबाक आ स्वयंकेँ समझबाक अवसर आ प्रेरणा भेटत। मानव जीवनक विविध महत्वपूर्ण आयाम जेना कि उत्सव, मृत्यु, एकाकीपन, नैतिक मूल्य, भौतिकताक प्रति अनुराग, संबंध इत्यादि सभकेँ छुबैत, ई पोथी अहाँकेँ जीवनक प्रति एकटा नव दृष्टिकोण देखेबाक अवसर प्रदान करत। हमरा विश्वास अछि जे ई पोथीक कविता सभ सदिखन सम-सामयिक आ सार्थक बनल रहत।

कवितासभमे प्रतीक आ बिंबक समुचित प्रयोग कएल गेल अछि, जे प्रकृति आ मानव दुनूसँ उधार लेल गेल अछि। कोशिश कएल गेल अछि जे दार्शनिक पक्षकेँ समग्रतामे उतारल जाए। कविता सभक गहराई अहाँकेँ सोचबामे विवश क’ देत। कविताक शीर्षकसभ प्रथमदृष्टया साधारण लगैत अछि मुदा कथ्यक आ विषयक जटिलताकेँ समेटैत अपनामे गहीर अर्थ समाहित कएने अछि । शैलीमे सेहो किछ नव प्रयोग देखबामे भेटत।
कवितासभमे संवेदना, क्षमा, प्रेम, भ्रम, द्वन्द्व, अहिंसा जेकाँ कठिन तत्वसभक जड़ि धरि पहुँचेबाक प्रयास कएल गेल अछि। किछ कविता अभिधा, किछ लक्षणा, आ किछ व्यंजनामे रंगल अछि। अधिकतर कविता अपन भाव आ अर्थमे गहीर भेटत।
एहि पोथीक एक मात्र उद्देश्य अछि — मनुष्यता केँ पक्षमे ठाढ़ होएबाक साहसक संचार। अन्हार सदिखन रहत, मुदा उजासक आस नहि छोड़बाक चाही। मनुष्यक जीवन एहि आसक यात्रा अछि। अपनाकेँ बुझबाक यात्रा, मनुष्यक “मनुष्य” बनबाक यात्रा।
जखन कखनहुँ अहाँ लक्ष्यविहीन होयब, खसि पड़ब, अवसाद दिस बढ़ लागब,-ई पोथीक कवितासभ अहाँके शांति देत, नव आयाम देत आ चिंतन करबाक अवसर देत। सपना देखबाक लेल आ समग्रतामे सोचबाक लेल नव साहस देत। दोसरक त्यागक भावना के प्रति सम्मानक दृष्टि आ ओकरा मान्य करबाक क्षमता प्रदान करत। मनुष्य बनबाक यात्रामे, ई पोथी एकटा प्रकाशस्रोत जकाँ सदिखन बरैत रहत आ अहाँकेँ दिग्भ्रमित होयसँ बचेबामे सहायक सिद्ध होयत।

About the Author

मुकुंद बिहारी साहित्यानुरागी छथि। हिनक मातृभाषा मैथिली छनि। “भारतीय सांख्यिकी सेवा”क एकटा अधिकारी छथि आ सम्प्रति जनजातीय कार्य मंत्रालय, भारत सरकार, भारत सरकारमे बतौर उप-निदेशक नियुक्त छथि। हिनकर शिक्षा क्रमशः जवाहर नवोदय विद्यालय, दरभंगा ,किरोड़ीमल कॉलेज, दिल्ली विश्वविद्यालय आ भारतीय प्रौद्योगिकी संस्थान, मुंबईमे भेल छनि। विद्यालय, महविद्यालय आ सेवा आदि स्तरपर साहित्यसँ सम्बंधित प्रतियोगिता सबमे हिनका सत्तरसँ बेसी प्रमाणपत्र/मेडल सभ भेटल छनि।

सांख्यिकी, साहित्य आ संगीत तीनों विशेष प्रिय छनि। ई सभ विधामे लिखबाक क्षमता रखैत छथि। मैथिलीक औपचारिक शिक्षाक अभाव रहितहुँ , ‘उफाँट हम’ जे हिनकर पहिल पोथी अछि तकरा स्व-प्रकाशित करबाक जोखिम उठेबाक निर्णय लेलथि ।ई पोथी लिखबाक पाछू हिनकर एकटा महत्वपूर्ण उद्देश्य छनि- मैथिली गजलकेँ लोकक ठोरपर पहुँचेनाइ। ई निरंतर सीखबामे विश्वास रखैत छथि।

हिनकर दोसर पोथी “उजासक आसमे” जे कि एकटा कविता संग्रह अछि, सेहो स्व-प्रकाशित भ’ रहल अछि| शीघ्र, हिनकर आन पोथी सब सेहो प्रकशित/स्व-प्रकाशित होयत।

You Tube Channel - https://www.youtube.com/@MukundBihari/
Sound Cloud - https://on.soundcloud.com/tmGXDYVjVX7VxQX9A
LinkedIn - https://www.linkedin.com/in/mukund-bihari

Book Details

ISBN: 9789334329513
Number of Pages: 115
Dimensions: 6.00"x9.00"
Interior Pages: B&W
Binding: Paperback (Perfect Binding)
Availability: In Stock (Print on Demand)

Ratings & Reviews

उजासक आसमे

उजासक आसमे

(Not Available)

Review This Book

Write your thoughts about this book.

Currently there are no reviews available for this book.

Be the first one to write a review for the book उजासक आसमे.

Other Books in Poetry

Shop with confidence

Safe and secured checkout, payments powered by Razorpay. Pay with Credit/Debit Cards, Net Banking, Wallets, UPI or via bank account transfer and Cheque/DD. Payment Option FAQs.