You can access the distribution details by navigating to My Print Books(POD) > Distribution

Add a Review

उफाँट हम (Ufaant Hum)

बहर चूमैत मैथिली गजलक संग्रह (Bahar Chumait Maithili Gajalak Sangrah)
मुकुंद बिहारी (Mukund Bihari)
Type: Print Book
Genre: Poetry
Language: Maithili
Price: ₹400
Price: ₹400
Free Shipping
Dispatched in 5-7 business days.
Shipping Time Extra

Description

1. ई पोथीक गजलक बारेमे संक्षिप्त विवरण:-
*******************************************

ई पोथीमे 82 गोट गजल आ 615 टा शेर अछि, जाहिमे 56 गोट (68%) ‘प्रचलित फारसी/अरबी/उर्दू बहरपर’ अछि बाँकी 26 गोट (32%) ‘संभाव्य बहरपर’ अछि।

संभाव्य बहरसँ हमर तात्पर्य ई अछि जे ई गजलसभक सभ शेरमे समान मात्राक्रम छै। भ’ सकैत अछि, जे कालांतरमे एकर प्रचलन आ लोकप्रियता, ई बहरसभकेँ मैथिलीक मान्य बहरक पाँतमे बैसा दै।

एहि पोथीमे 6 प्रकारक प्रचलित बहरपर आधारित 56 गोट गजल अछि जाहिमे, 39 टा गजल “बहरे मीर” पर, 7 टा गजल “बहरे रमल मोसद्दस सालिम”पर, 5 टा गजल “बहरे रमल मोसम्मन महजूफ”पर, 3 टा गजल “बहरे रमल मोरब्बा सालिम”पर आ एक-एक टा गजल “बहरे रमल मोसम्मन सालिम” आ “बहरे हजज मोसम्मन सालिम”पर लिखल गेल अछि।
कुल 11 टा गजल बिना रदीफक अछि।

औसतन हरेक गजलमे 7 टा शेर अछि। कुनु एक गजलमे सबसँ बेसी शेरक संख्या 12 अछि।

पाठकक सुविधा लेल पोथीक अंतमे...

About the Author

मुकुंद बिहारी साहित्यानुरागी छथि। हिनक मातृभाषा मैथिली छनि। “भारतीय सांख्यिकी सेवा”क एकटा अधिकारी छथि आ सम्प्रति इस्पात मंत्रालय, भारत सरकारमे बतौर उप-निदेशक नियुक्त छथि। हिनकर शिक्षा क्रमशः जवाहर नवोदय विद्यालय, दरभंगा ,किरोड़ीमल कॉलेज, दिल्ली विश्वविद्यालय आ भारतीय प्रौद्योगिकी संस्थान, मुंबईमे भेल अछि। विद्यालय, महविद्यालय आ सेवा आदि स्तरपर साहित्यसँ सम्बंधित प्रतियोगिता सबमे हिनका सत्तरसँ बेसी प्रमाणपत्र/मेडल सभ भेटल छनि।

सांख्यिकी, साहित्य आ संगीत तीनों विशेष प्रिय छनि। ई सभ विधामे लिखबाक क्षमता रखैत छथि। मैथिलीक औपचारिक शिक्षाक अभाव रहितहुँ , ‘उफाँट हम’ जे हिनकर पहिल पोथी अछि तकरा स्व-प्रकाशित करबाक जोखिम उठेबाक निर्णय लेलथि ।

ई पोथी लिखबाक पाछू हिनकर एकटा महत्वपूर्ण उद्देश्य छनि- मैथिली गजलकेँ लोकक ठोरपर पहुँचेनाइ। ई निरंतर सीखबामे विश्वास रखैत छथि। शीघ्र, हिनकर आन पोथी सब सेहो प्रकशित/स्व-प्रकाशित होयत।

You Tube Channel - https://www.youtube.com/@MukundBihari/
Sound Cloud - https://on.soundcloud.com/tmGXDYVjVX7VxQX9A
LinkedIn - https://www.linkedin.com/in/mukund-bihari

************************************************************************************************************************************************************************************************************************************
Mukund Bihari is a literary enthusiast. His mother tongue is Maithili. He is an officer of...

Book Details

ISBN: 9789334088731
Publisher: Self-Published
Number of Pages: 178
Dimensions: 6"x9"
Interior Pages: B&W
Binding: Paperback (Perfect Binding)
Availability: In Stock (Print on Demand)

Ratings & Reviews

उफाँट हम (Ufaant Hum)

उफाँट हम (Ufaant Hum)

(Not Available)

Review This Book

Write your thoughts about this book.

Currently there are no reviews available for this book.

Be the first one to write a review for the book उफाँट हम (Ufaant Hum).

Other Books in Poetry

Shop with confidence

Safe and secured checkout, payments powered by Razorpay. Pay with Credit/Debit Cards, Net Banking, Wallets, UPI or via bank account transfer and Cheque/DD. Payment Option FAQs.