You can access the distribution details by navigating to My Print Books(POD) > Distribution
मनुक्खक जीवनमे नीक-बेजाए होइते रहैत छैक । अपना भरि सभ प्रयास करैत अछि जे ओकर जीवन यात्रा सुखकर होइक,सफलतासँ भरल होइक । समाजमे ओकरा प्रतिष्ठा होइक । बहुत गोटेकेँ से होइतो छैक । बहुत गोटे जहिना अज्ञात अबैत अछि तहिना चलि जाइत अछि । तेँ की? ओकर जीवन व्यर्थ चलि गेलैक की? कदापि नहि । कतेको एहन लोकक हृदयक दुख बहुत दिन धरि प्रभाव दैत अछि। कैकबेर मरिओक लोक अमर भए जाइत अछि । कैकटा घटना जतेक पुरान होइत अछि ओ ततेक प्रभावशाली होइत चलि जाइत अछि। प्रत्येक आदमीक जीवनमे किछु-ने-किछु एहन घटना घटिते अछि जे बिसरने नहि बिसराइत अछि । एहि पुस्तकमे हमरा देखबा-सुनबामे आएल किछु एहने मार्मिक घटना सभक संस्मरण अछि - किछु गामक, किछु गामसँ बाहरक ।
Currently there are no reviews available for this book.
Be the first one to write a review for the book इएह थिक जीवन.