You can access the distribution details by navigating to My pre-printed books > Distribution

Add a Review

इन्द्रधनुषी अकास (eBook)

काव्य संग्रह
Type: e-book
Genre: Literature & Fiction
Language: Maithili
Price: ₹50
(Immediate Access on Full Payment)
Available Formats: PDF

Description

“इंद्रधनुषी अकास” सरिपहुँ कविताक प्रकार, छोट-पैघक हिसाबे, भावनाक प्रवाहक हिसाबे, अनेक विषयमे होबाक कारणे बहुरंगी चुनरी अछि। अतेक विस्तृत विधा आ विषयकेँ समेटबाक कारणे ऐ संकलनक नामकरण ऐसँ उत्तम नइ भऽ सकैत अछि : वैविघ्‍यसँ भरल, मनोरंजक, रंगारंग, दीवास्वप्न, सोहनगर-मनोरंजक आ मनोहारी अकास। ऐमे जीवनक यर्थाथ अछि, कविक कल्पनाक संसार अछि, उपमा आ अलंकार अछि, जीवनक दर्शन अछि, माटिसँ सिनेहक उद्गार अछि, गीत अछि, भाव अछि, अर्थ विन्यास अछि, प्रेमक अनुभवजन्य‍ परिभाषा आ प्रवाह अछि, प्रकृतिक अनुराग अछि, ग्राम्य-जीवनक झांकी अछि चीर प्राचीन आ चीर नवीन विचार अछि।

About the Author

मण्डलजी विचारसँ प्रगतिशील आ सभ तरहक लोक-विचारधारा, परिस्थि‍ति आ परिवेशमे सामंजस्य स्थापित करैबला साहित्यकार छैथ‍। अल्टरनेटिव डेवलपमेन्ट आ इकोलॉजिकल कन्से‍प्टकेँ स्थानीयताक दृष्टिकोणमे बुझबाक आ अपन ज्ञान गंगाकेँ कथा, उपन्यास, नाटक एवं कविताक रूपमे बहेबाक असाधारण क्षमता छन्हि मण्डलजीमे। हिनकर रचना पढ़ैत जाऊ आ ब्यौंत-पर-ब्यौंत सुनैत जाऊ! हिनकर बात आ ब्यौंत सभ सहज, चमत्कारी मुदा विश्वसनीय लागत।
मण्‍डलजीमे सामाजिक क्रांति लेबाक असाधारण क्षमता छन्हि। ई चाहैथ तँ समाजक विभिन्न वर्गक बीच भयंकर उन्माद कखनो उत्पन्न कऽ देथि। लोक आपसमे मरए कटए लगत। जाति आ वर्गक राजनीतिमे तल्लीन भऽ जाथि। मुदा हिनक विशेषता ई अछि जे ई कहिओ बदलाक भावनासँ कार्य नै करै छैथ। हिनकर क्रांति मिथिला भूमिमे सभ वर्ग आ सभ लोकक मध्य आपसी विचारक, मेल मिलापक क्रांति थिक। हिनकर क्रांति खाँटी शब्दक चयन आ ओकर प्रयोग करबाक क्रांति थिक। हिनकर क्रांति लगातार ४० वर्षक अनुभवकेँ निश्चिंतसँ व्यक्त करबाक क्रांति थिक। हिनकर क्रांति एकरंगी नुआ नै अपितु बहुरंगी चुनरी थिक। मण्‍डलजी शोषण केर चर्चा तँ अवश्य करै छैथ मुदा शोषित आ शोषक अथवा शोषित केर संतान आ शोषक केर संतानक बीच घृणाक वातावरण उतपन्न नै करै छैथ। मण्‍डलजी इतिहाससँ सबक लइ छैथ इतिहासक घावपर नोन नइ छिड़कै छैथ। ई इतिहासक सन्दर्भ लऽ लोककेँ वर्त्तमानमे जीबाक प्रेरणा दइ छैथ। सामाजिक दृष्टिकोणसँ ई बड्ड महतपूर्ण बिंदु अछि। ऐ तरहक बात कोनो साहित्यकारकेँ कालजइ बना दइ छइ। मण्‍डलजी मिथिलाक एवं मैथिलीक एक मानवीय धरोहर छैथ- लिविंग human Intangible Heritage.
मण्‍डलजी कोनो अड्डाबाजी अथवा गुटबाजीमे विश्वास नइ करै छैथ। राजनीति छोड़ि देलैन तँ छोड़ि देलैन। आब खाँटी रचनाकार थिकाह। रचनाक अलाबे किछु नइ करै छैथ। केवल हिनकर शब्द आ बिम्बपर बहुत किछु लिखल जा सकैत अछि। ओकर मानवीय मूल्य एवं आदर्शक महत लिखल जा सकैत अछि। हुनक जीवन शैली आ जिनगीक उतार-चढ़ावपर लिखल जा सकैत अछि। हिनकासँ पुरस्कार सम्मानित हएत; पुरस्कारसँ ई की सम्मानित हेता?

Book Details

ISBN: 9789387675445
Publisher: Pallavi Prakashan
Number of Pages: 185
Availability: Available for Download (e-book)

Ratings & Reviews

इन्द्रधनुषी अकास

इन्द्रधनुषी अकास

(Not Available)

Review This Book

Write your thoughts about this book.

Currently there are no reviews available for this book.

Be the first one to write a review for the book इन्द्रधनुषी अकास.

Other Books in Literature & Fiction

Shop with confidence

Safe and secured checkout, payments powered by Razorpay. Pay with Credit/Debit Cards, Net Banking, Wallets, UPI or via bank account transfer and Cheque/DD. Payment Option FAQs.