You can access the distribution details by navigating to My pre-printed books > Distribution

Add a Review

तरेगन (eBook)

बीहैन कथा संग्रह
Type: e-book
Genre: Literature & Fiction
Language: Maithili
Price: ₹50
(Immediate Access on Full Payment)
Available Formats: PDF

Description

मनमनियाँ
अपने लोकनिक बीच बीहैन‍-कथाक छोट-छीन संग्रह उपस्थि‍त अछि। प्रस्तुत संग्रह एक-लगाइत नहि, डेढ़-दू सालक बीच लिखल छी, जइमे मौलिक कथाक संग विश्व भरिक साहित्यक सार संक्षेप नेना आ बढ़ैत नेना सभ-ले जुटौल गेल अछि, सबहक प्रति आभार जइसँ रंग-बि‍रंगक विषय-वस्तुक ई जमघट भऽ गेल अछि‍।
आजुक भाग-दौड़क जिनगीमे दीर्घ कथा पढ़ैक पलखति नइ रहने लघु तथा बीहैन‍ कथाक महत स्वत: बढ़ि गेल अछि।
कथा-लेखनमे श्रीनि‍वासजी (डॉ. शिवशंकर श्रीनि‍वास, लोहना)क सहयोगक चर्च करब केना बि‍सैर‍ सकै छिऐन।
समय-समयपर गजेन्द्रजी (श्री गजेन्द्र ठाकुर, मेंहथ)क आग्रह आ सुझाव आ संगहि श्रुति प्रकाशनक श्री नागेन्द्र कुमार झा आ श्रीमती नीतू कुमारीक भरपुर सहयोग भेटलासँ लिखैक नव उत्साहो आ अशो मनकेँ सक्कत बना देने अछि।
ऐ पोथीक नाओं ‘तरेगन’ श्री धीरेन्द्र कुमारजी (नि‍र्मली)क देल अछि।
अन्तमे, कथा-प्रेमी सभसँ आग्रह जे अपन अमूल्य सुझावसँ अवगैत‍ करा आगू-ले उत्साहित करब।

-जगदीश प्रसाद मण्डल
बाल दिवस, 14 नवम्बर 2009

About the Author

नाओं : जगदीश प्रसाद मण्डल
जन्म : 5 जुलाई 1947 ई.,
माता : स्व. मकोबती देवी।
पिता : स्व. दल्लू मण्‍डल।
पत्नी : श्रीमती रामसखी देवी।
पता : गाम- बेरमा, भाया- तमुरिया,
प्रखण्‍ड- लखनौर, अनुमण्डल- झंझारपुर,
जिला- मधुबनी, (बिहार) पिन : 847410, मो. 9931654742
मातृक : मनसारा, भाया- घनश्यामपुर, जिला- दरभंगा। जीवि‍कोपार्जन : कृषि (मुख्यत: तरकारी खेती) शिक्षा : एम.ए. द्वय (हिन्दी, राजनीति शास्त्र) साहित्य लेखन : 2001 ईस्वीक पछाइतसँ...। सम्मान/पुरस्कार : ‘विदेह सम्मान’, ‘विदेह भाषा सम्मान’, ‘टैगोर लिटिरेचर एवार्ड’, ‘वैदेह सम्‍मान’, ‘यात्री सम्मान’, ‘विदेह बाल साहित्य पुरस्कार’ तथा ‘कौशिकी साहित्य सम्मान’सँ सम्मानित/पुरस्कृत।
मौलिक रचना संसार- प्रकाशित पोथी : 1. गीतांजलि, 2. सुखाएल पोखरि‍क जाइठ, 3. तीन जेठ एगारहम माघ, 4. सरिता- गीत संग्रह। 5. इन्द्रधनुषी अकास, 6. राति-दिन, 7. सतबेध- कविता संग्रह। 8. पंचवटी- एकांकी संचयन। 9. मिथिलाक बेटी, 10. कम्प्रोमाइज, 11. झमेलिया बिआह, 12. रत्नाकर डकैत, 13. स्वयंवर- नाटक। 14. मौलाइल गाछक फूल, 15. उत्थान-पतन, 16. जिनगीक जीत, 17. जीवन-मरण, 18. जीवन संघर्ष, 19. नै धाड़ैए, 20. बड़की बहिन, 21. भादवक आठ अन्हार, 22. सधबा-विधवा, 23. ठूठ गाछ, 24. इज्जत गमा इज्जत बँचेलौं, 25. लहसन- उपन्यास। 26. कल्याणी, 27. सतमाए, -28. समझौता, 29. तामक तमघैल, 30. बीरांगना- एकांकी। 31. तरेगन, 32. बजन्ता-बुझन्ता- बीहैन कथा संग्रह। 33. शंभुदास, 34. रटनी खढ़- दीर्घ कथा संग्रह। 35. गामक जिनगी, 36. अर्द्धांगिनी, 37. सतभैंया पोखैर, 38. गामक शकल-सूरत, 39. अपन मन अपन धन, 40. समरथाइक भूत, 41. अप्‍पन-बीरान, 42. बाल गोपाल, 43. भकमोड़, 44. उलबा चाउर, 45. पतझाड़, 46. लजबि‍जी, 47. उकड़ू समय, 48. मधुमाछी, 49. पसेनाक धरम, 50. गुड़ा-खुद्दीक रोटी, 51. फलहार, 52. खसैत गाछ, 53. एगच्छा आमक गाछ, 54. शुभचिन्तक, 55. गाछपर सँ खसला, 56. डभियाएल गाम, 57. गुलेती दास, 58. मुड़ियाएल घर, 59. बीरांगना, 60. स्मृति शेष, 61. बेटीक पैरुख, 62. क्रान्तियोग, 63. त्रिकालदर्शी, 64. पैंतीस साल पछुआ गेलौं, 65. दोहरी हाक, 66. सुभिमानी जिनगी, 67. देखल दिन- लघु कथा संग्रह।

Book Details

ISBN: 9789387675193
Number of Pages: 170
Availability: Available for Download (e-book)

Ratings & Reviews

तरेगन

तरेगन

(Not Available)

Review This Book

Write your thoughts about this book.

Currently there are no reviews available for this book.

Be the first one to write a review for the book तरेगन.

Other Books in Literature & Fiction

Shop with confidence

Safe and secured checkout, payments powered by Razorpay. Pay with Credit/Debit Cards, Net Banking, Wallets, UPI or via bank account transfer and Cheque/DD. Payment Option FAQs.